चनमा - Chanma

चनमा - Chanma चनमा मिथिलाक जीवन आ सृजनक एकटा अनुष्ठान अछि।

चनमा  २.० २७ - २८  जेठ २०८० १० - ११ जून २०२३   ( जनकपुर )
19/03/2023

चनमा २.०

२७ - २८ जेठ २०८०
१० - ११ जून २०२३

( जनकपुर )

जन्मदिवस पर चनमा परिवार दिस सँ अनन्त शुभकामना।
19/06/2020

जन्मदिवस पर चनमा परिवार दिस सँ अनन्त शुभकामना।

★ राजकमल चौधरीक पुण्यतिथि पर श्रद्धांजलि ★ समय: एकटा आन्हर साँप / राजकमल चौधरी समय: एक टा आन्हर साँप, नहि बुझैत जे ककरा ...
19/06/2020

★ राजकमल चौधरीक पुण्यतिथि पर श्रद्धांजलि ★

समय: एकटा आन्हर साँप / राजकमल चौधरी

समय: एक टा आन्हर साँप, नहि बुझैत जे ककरा कटैत छी।
समय: एक टा अन्हार रस्ता-एक, अहाँ, ओ,
नहि जनैत अछि क्यो जे किएक हम सभ जाय रहल छी कत’।

समय एक टा आन्हर साँप, समय एक टा अन्हार रस्ता। आ, व्यक्ति
अजगरक पेटमे छटपटाइत पक्षी।

आ, व्यक्ति चौरस्तापर मरल पड़ल कुकुर-केवल, मृत आँखिमे
अभिव्यक्ति।

केवल, मृत आँखिमे पसरल सौंसे इतिहास, सभ टा परम्परा
विक्षिप्त वराहक दीर्घ दन्तपर राखल सौंसे वसुन्धरा
आ, चारू कात समुद्र। चारू कात समुद्र।

अजगरक पेटमे छटपटाइत पक्षी उड़िक’ कत’ जायत? आन्हर साँप
की पाबि सकत पुनः अपन पातर विवर?
अन्हार रस्ता की हमरासभकेँ ल’ जायत ज्योति-नगर?

★ राजकमल चौधरी [ 14 दिसंबर 1929 - 19 जून 1976 ]

* श्री मिथिला *छथि मिथिला सबदेश मे, सुयश - धर्म - धन - धाम !हरल जनक - जड़ता जनमि, जगजननी जहि ठाम !!कविवर सीताराम झा कें स...
15/06/2020

* श्री मिथिला *

छथि मिथिला सबदेश मे, सुयश - धर्म - धन - धाम !
हरल जनक - जड़ता जनमि, जगजननी जहि ठाम !!

कविवर सीताराम झा कें सादर श्रद्धांजलि 🙏
{ फोटो रामानंद सर कें फेसबुक सँ लेल अछि । }

06/06/2020

मैथिलीक महत्वपूर्ण साहित्यकार आ नवारम्भ प्रकाशनक संस्थापक आदरणीय अजित आजाद केँ हुनक जन्मदिवस पर चनमा परिवार दिस सँ हार्दिक शुभकामना ।

जिनगीक प्रश्नदुरुह, जटिल ओझरायल हम जोड़-घटाव, गुणा-भाग....सभटा कएल नियम-कायदा ठीकमुदा उत्तर नहि मिलैत अछिउत्तरमालासँ !- अ...
27/09/2019

जिनगीक प्रश्न
दुरुह, जटिल
ओझरायल हम
जोड़-घटाव, गुणा-भाग....
सभटा कएल

नियम-कायदा ठीक
मुदा
उत्तर नहि मिलैत अछि
उत्तरमालासँ !

- अजित आजाद

मृत्यु थिक विचार, नामक पोथी सँ हिनक एकगोट कविताक संग चनमा परिवार दिस सँ हिनका जन्मदिनक शुभकामना आ बहुत बहुत बधाई 💐💐

विलक्षण लेखन प्रतिभाक अधिनायक आ अपन  गीत -गजल सँ जन - जन मे लोकप्रिय आदरणीय डॉ. राजेंद्र विमल केँ हुनक जन्मदिवस पर हुनकह...
26/03/2019

विलक्षण लेखन प्रतिभाक अधिनायक आ अपन गीत -गजल सँ जन - जन मे लोकप्रिय आदरणीय डॉ. राजेंद्र विमल केँ हुनक जन्मदिवस पर हुनकहि एकटा गजलक संग चनमा परिवार दिस सँ हुनका अनन्त शुभकामना।

गजल

जगमग ई सृष्टि करए तखने दिवाली छी
प्रेम चेतना जागि पड़ए तखने दिवाली छी

जीर्ण आ पुरातनकें हुक्का-लोली बनाउ
पलपल नव दीप जरए तखने दिवाली छी

स्नेहकेर धार बहत बना जग ज्योतिर्मय
हर्षक फुलझड़ी झरए तखने दिवाली छी

अनधन लछमी आबए दरिदरा बहार हो
रंगोली रङ्ग भरए तखने दिवाली छी

रामशक्ति आगूमे रावण ने टीकि सकत
रावण जखने डरए तखने दिवाली छी

- डॉ. राजेन्द्र विमल

07/01/2019

Address

Kathmandu

Alerts

Be the first to know and let us send you an email when चनमा - Chanma posts news and promotions. Your email address will not be used for any other purpose, and you can unsubscribe at any time.

Contact The Establishment

Send a message to चनमा - Chanma:

Share