The Unique Mithila

The Unique Mithila Contact information, map and directions, contact form, opening hours, services, ratings, photos, videos and announcements from The Unique Mithila, Arts and entertainment, Janakpurdham, Dhanusha, Nepal, Janakpur.

तिरहुता लिपिक लेल सुखबर..
02/02/2026

तिरहुता लिपिक लेल सुखबर..

24/01/2026
With Pappu Kamat – I'm on a streak! I've been a top fan for 10 months in a row. 🎉
23/01/2026

With Pappu Kamat – I'm on a streak! I've been a top fan for 10 months in a row. 🎉

मैथिली भाषा के कविता "चुक्का" के लेखक मुन्नी कामत, साहित्य अकादमी पुरस्कार 2025 सँ सम्मानित भेलनि।अहाँ सब के बताबी जे मु...
19/06/2025

मैथिली भाषा के कविता "चुक्का" के लेखक मुन्नी कामत, साहित्य अकादमी पुरस्कार 2025 सँ सम्मानित भेलनि।
अहाँ सब के बताबी जे मुन्नी कामत घोघरडीहा प्रखंड क्षेत्र के ग्राम पर्सा के श्री दिलीप वर्मा आ श्रीमती लक्ष्मी देवी के बेटी छैथ |जखन कि ओ फुलपरास प्रखंडक सुरियाही गामक निवासी श्री अरुण कामतक पत्नी छथि | साहित्य अकादमी पुरस्कार पाबि एहि क्षेत्रक शिक्षाविद आ बुद्धिजीवी लोकनि गदगद छथि ।
#साहित्य_अकादमी_पुरस्कार_2025

शुभ श्री सीता नवमी 🙏🌺।मिथिलाक धिया श्री जानकीजीक प्राकट्य (जन्म उत्सव) के सब गोटे के हार्दिक बधाई आ शुभकामना 🌺🙏।पूजा स्थ...
06/05/2025

शुभ श्री सीता नवमी 🙏🌺।
मिथिलाक धिया श्री जानकीजीक प्राकट्य (जन्म उत्सव) के सब गोटे के हार्दिक बधाई आ शुभकामना 🌺🙏।
पूजा स्थल: वैशाली (मिथिलाक प्रवेश द्वार)
फोटो साभार:- अभिषेक राय

शुभ जुड़शीतल मिथिलाक नया साल 2082🤗🌾🌺❤️Happy Maithil New Year 2082...जुड़शीतल मिथिला क्षेत्र (भारत, नेपाल) कें नबसाल थिक।...
14/04/2025

शुभ जुड़शीतल मिथिलाक नया साल 2082🤗🌾🌺❤️Happy Maithil New Year 2082...
जुड़शीतल मिथिला क्षेत्र (भारत, नेपाल) कें नबसाल थिक। ई पाबैन तिरहुत/मिथिला पंचांग के अनुसार मनाओल जाइत अछि।बैसाख मास के प्रथम दिनके मैथिल समाज जुड़शीतल/मैथिल नबसालक रूप में मनबैत छैथ।

ई दिन प्रायः ग्रेगोरियन कैलेंडरक अनुसार 14 अप्रैल के मनाओल जाइत अछि। कोनों साल ई पाबैन 15 क सेहो पईर जाईत छै। जुड़शीतल सँ एक दिन पहिने सतुआईन पाबैन होइत अछि।
मैथिली नव वर्ष निरयणम वसंत विषुव कँ अनुसरण करैत अछि ते एहि दिन के निरयण मेश संक्रांति आ तिरहुत नव वर्ष के नाम सँ सेहो जानल जाइत अछि।

जुड़शीतल के मैथिल नव वर्ष आ शिरुआ-बिसुआ के नाम सँ सेहो जानल जाइत अछि।बिहार सरकार अहि दिन मिथिला दिवस नाम सँ छुट्टी घोषित करैत अछि।

जुड़शीतल के दिन देवी-देवता के नब अन्न,शक्कर आ नब अन्न सँ बनल पकवान चरहैत अछि जाहि में जौ कए सतुआ आ आमक टिकुला कँ विशेष स्थान रहैत अछि।

अहि दिन पैग लोक सबेरे उईठ क अपना सँ छोट धियापुता कँ माथ पर बासी पानि राखि क आशीष दैत कहें छैथ जूरायल रहु आ छोट धियापुता अपना सँ पैग के चरण पर पानि राखि क आशिष लैत छै। लोग अहि दिन जर-चेतन सब कँ बासि पानि सँ जुरेबाक काज करै छैथ। गाछ बिरिछ घर आंगन सब में पानी पटा शीतल कएल जाईत अछि।

जुड़शीतल के दिन बासी भोजन आ बासी पानि कँ विशेष महत्त्व देल जाईत अछि। अहि दिन चूल्हा नहि जराओल जाइत अछि। रतूका बनल भात, करहीबड़ी, सोहिजन के तिमन, आमक चटनी, तरुआ आ पोखईर सँ आनल सेमार केराक पात पर परोईस क चूल्हा आ घरक मोख पर चरहाओल जाइत अछि।ओकर बाद लोक अपनो बासी भोजन ग्रहण करैत छैथ।

अहि दिन लोक एक दोसर कँ संगे धुरखेल खेलै छैथ आ माटि कँ पानि में घोरि क एक दोसर कँ लगबै छैथ, एकर पाछुक उद्देश्य रहैत छैक जे अपनो शीतल रही आ एक दोसरो संग शीतल व्यवहार करी।जुड़शीतल पाबैन लोक के प्राकृति आ पर्यावरण सँ जोड़बाक काज करैत अछि।एहि दिन लोक गाछ-बिरिछ रोपैंत अछि आ गाछ-बिरिछ मे पानि दैत छथि आ आशा कयल जाइत अछि जे ओकरा सब कँ तपैत गर्मी सँ बचाओल जायत आ शीतल हवा भेटत ।

जुड़शीतल पाबैन प्राकृति सँ जुड़ल रहबाक आ पर्यावरण कँ संरक्षण करबाक सन्देश दैत छैक। संगे पर्यावरण में मौजूद जड़-चेतन सबके संग शीतल चित सँ शीतल व्यवहार करबाक संदेश सेहो दैत छैक।

✍️पप्पू कामत
💕

Address

Janakpurdham, Dhanusha, Nepal
Janakpur
45600

Website

Alerts

Be the first to know and let us send you an email when The Unique Mithila posts news and promotions. Your email address will not be used for any other purpose, and you can unsubscribe at any time.

Share