Maithili Singer ( Mithila )

Maithili Singer ( Mithila ) सुवदगार / स्वक्ष /सम्पूर्ण मनोरंज हमर ?

चन्दा के गलत धंधा में सदैव नेता के भला भेलानी ,समाज आ मिथिला के नई !!
मैथिलि सिंगर परिवार "
भारत 0११.
मैथिली परिवार,,
मिथिला,,, भारत 0११.

💐🙏💐सादर नमन lll
27/07/2026

💐🙏💐
सादर नमन lll

एलबम – जुल्फीवाली रनियाँगायक – सुनील झा पवन (Sunil Jha Pawan) कोना के टुटलो, मोती के हार,कोना उजरलो, तोहर श्रृंगार।ई सब ...
07/07/2026

एलबम – जुल्फीवाली रनियाँ
गायक – सुनील झा पवन (Sunil Jha Pawan)

कोना के टुटलो, मोती के हार,
कोना उजरलो, तोहर श्रृंगार।
ई सब कोना के भेलो ओहीना गे,
हमरे ठके छै हमर सजनी गे॥

केश तोहर छै उजरल, पुजरल,
आँखी में काजल लेभरल, लुभरल।
होऽ ठोरक लिपिस्टिक घसैल बुझाई छै,
गालक लाली गुरसैल बुझाई छै।
केकरा सँ मिललो तोहर नयना गे,
हमरे ठके छै हमर सजनी गे॥

साड़ी तोहर छै मोरल सोरल,
आँगी बुझाई छै जेना झिझोरल।
केश के फित्ता भुइयाँ में लेटाई छै,
आँखी तोहर धँसल बुझाई छै।
के लुटलको तोहर चेना गे,
हमरे ठके छै हमर सजनी गे॥

06/07/2026

आशा करैत छी जे समस्त मुंबईवासी सुरक्षित छथि आ एहन भीषण वर्षाक बीच अपन-अपन घरमे सकुशल छथि।

लगातार भऽ रहल भारी वर्षा आ जलजमावक कारण पोईसर, वसई-वीरार, नालासोपारा, चेंबूर, दादर आदि क्षेत्र बेसी प्रभावित भेल छथि। कृपया अनावश्यक यात्रा सँ बचू, अपन आ अपन परिवारक विशेष ध्यान राखू, तथा BMC , TMC आ स्थानीय प्रशासनक आधिकारिक सूचना पर नजरि बनाएल राखू।

सावधान रहू, सुरक्षित रहू।
Maithili Singer ( Mithila )
Mumbai Tak

17/06/2026

जखन मयए नहि बजथिन ,
तँ मैथिली के मातृभाषा कहब कतेक उचित ....??
पैघ चिन्तन के विषय अछि ll

रुकियौ कने त' बारि दिया क' दैत छी विदारवीन्द्रजीक अमर गीतक गायिकाकेँ रवीन्द्रेजीक शब्दसँ श्रद्धाञ्जलि।
01/06/2026

रुकियौ कने त' बारि दिया क' दैत छी विदा
रवीन्द्रजीक अमर गीतक गायिकाकेँ रवीन्द्रेजीक शब्दसँ श्रद्धाञ्जलि।

बट सावित्री पावन पर्व के शुभ अवसर पर सभी सौभाग्यवती बट सावित्री पूजन करने वाली सभी व्रतधारी को हमारे तरफ से हार्दिक शुभक...
16/05/2026

बट सावित्री पावन पर्व के शुभ अवसर पर सभी सौभाग्यवती बट सावित्री पूजन करने वाली सभी व्रतधारी को हमारे तरफ से हार्दिक शुभकामना तथा सदा सौभाग्यवती रहे यह आशीर्वाद
सावित्री मैया की जय 🔱🚩🚩
गौरी मैया की जय 🔱🚩🚩🚩

27/04/2026

उपनयनक मड़बा पर वैह पाहुन "ब्रह्मा" बनल भेटताह जे जीवन भरि मनुक्ख नहि भेलाह घरबैयाक दृष्टि मे !

कतय बिला गेलै गामक दलान?-------------------------------------​गाम तँ छै, मुदा गामक ओ शान कतय?बाबूजीक बैसकी, ओ पुरनका दला...
18/04/2026

कतय बिला गेलै गामक दलान?
-------------------------------------
​गाम तँ छै, मुदा गामक ओ शान कतय?
बाबूजीक बैसकी, ओ पुरनका दलान कतय?
कतय बिला गेलै ओ दलानक गप्प-सप्प,
अपन-आन के ओ सांझक थप्प-थप्प।
​फूस के ओ घर, काठक ओ थाम,
कतय हेरा गेलै ओ थाकल विश्राम।
जहिना देह सँ प्रान छूटि रहल अछि,
तहिना गामक ओ पहिचान टूटि रहल अछि।
​सर्वत , तम्बाकू आ हुक्काक ओ धुँआ,
ओ पोखरि, ओ इनार, आ पाइन क कुआँ।
आब तँ पाकल ईंटा क कंक्रीट भ' गेलै,
गामक ओ मोह-माया "अपडेट" भ' गेलै।
​कतय गेलै ओ पंचक गंभीर फैसला,
कतय गेलै ओ अतिथि लेल प्रेम-कौशला।
अब तँ केबाड़ बन्द भ' गेलै सभ केँ,
मोबाइलक फंसा लेलकै अपना में सभ के ।
​आंगन तँ बाचले अछि, मुदा सूना-सूना,
दलान बिना गामक रौनक़ गेलै दूना।
बड़का कोठी तँ बनि गेलै चकाचक,
मुदा गामक ओ सोंध माटि भ' गेलै फकफक।
​हेरा गेलै ओ दलानक खिस्सा-पिहानी ,
बिला गेलै ओ सत्य प्रेम आ ममतामयी वाणी।
कीर्ति के चिंता जे फेर सँ दलान केँ सजा सकब?
कि अपन विलुप्त होइत संस्कृति केँ बचा सकब?

Address

Patna

Alerts

Be the first to know and let us send you an email when Maithili Singer ( Mithila ) posts news and promotions. Your email address will not be used for any other purpose, and you can unsubscribe at any time.

Contact The Establishment

Send a message to Maithili Singer ( Mithila ):

Shortcuts

Share

Category